Friday 27 December 2013

नागदह में मनाओल गेल विद्यापति आ डॉ सुभद्र झाक स्मृति पर्व



फोन पर भेल बात-चितक माध्यमसँ आदरणीय समाज सेवक, बच्चा, नवयुवक आ वृद्धजन के स्नेह परसनिहार, “डॉ सुभद्र झा विद्यापति विचार मंच” के संयोजक श्री नृपेन्द्र झा "नेता जी " नागदह सँ इ जनौलनि जे विना कोनो आडम्बर के २५ दिसंबर २०१३ क' विद्यापति आ डॉ सुभद्र झाक स्मृति पर्व समस्त ग्रामीण एकत्रित होइत करीब तईस- चौबीस वर्षक बाद एही बेर मनौलन्हि.
मंचक अध्यक्षता केलनि श्री कृष्णदेव झा विशिष्ट वक्ता छलाह मिथिलाक प्रवुद्ध मंच उद्घोषक नागदहक भूमि पर जन्म लेल आदरणीय श्री बुद्धिनाथ झा मुख्य वक्ता छलाह श्री अशोक झा , श्री महारुद्र झा , श्री दिवाकर झा, श्री लेखनाथ झा , श्री नन्द कुमार झा आ धन्यवाद ज्ञापन केलन्हि श्री मिथिलेश झा.  गामक बचिया लोकनि मैथिली लोकगीत आ नृत्य सँ समारोह में दूर- दूर सँ सेहो आएल श्रोता -दर्शक लोकनिकेँ बिना रस्सी बान्हि मंत्र मुग्ध केलीह.

संग- संग नेता जी कहलन्हि - जे आब इ प्रयास कएल जाएत जे प्रतिवर्ष निरंतरता पूर्वक समारोह मनाओल जाएत.    
  

No comments:

Post a Comment

अपन मत जरुर दी - धन्यबाद !