Friday 14 February 2014

मिथिला में प्राण वियोग, विष्णु लोक जयबाक मार्ग

http://www.mithilamirror.com/news-detail.php?id=249

दिल्ली,मिथिला मिरर-संजय झाः जगत जननी भगवती मैथिली, मिथिला के धरती माता सँ सदेह प्रकट भेल छथि. ताहि हेतु भगवती सीता (मिथिलायां भवा) "मैथिली" नाम सँ विख्यात छथि. महाशक्ति भगवती मैथिली स्वतः मनुष्य रूप में भेलीह ताहि हेतु पिता के नाम जोड़वाक कारन देहयुक्त विदेह राजा जनक जी के चुनली. राजर्षि विदेह के द्वारा हलाकर्षण सँ भगवती सीता जी अवतरित भेलीह. अतएव राजर्षि विदेह भगवती सीताजीकें जनक आ हुनकर पौष्य पुत्री भगवती सीता जानकीक नाम सँ प्रसिद्ध भेलीह. महाशक्तिक अन्यन्य उपासक शाक्त मैथिल ब्राम्हण मैथिलीकें काली, दुर्गा, भैरवी, भुवनेश्वरी आदि - आदि नाम सँ अपन इष्ट देवता मानैत आवि रहल छथि. महाशक्ति मैथिली मिथिला कें माईट सँ अवतरित भेल छथि ताहि हेतु मिथिलावासी पार्थिव देव पूजा के सर्वोपरि मानैत आवि रहल छथि.

प्रायः मिथिला के प्रत्येक घर में प्रातः सायं अनावरित माईट के पिंड स्वरुप भगवती के पीड़ी के पूजा होइत अछि. गहवर में भगवती बिसहरा (सर्प देवता) के पीड़ी सेहो माईट के देखल जाइत अछि आ जे सब सलहेस के पूजा करैत छथि हुनका सब के घर में सेहो माईटक पीड़ी देखल जाइत अछि. अकाल या महामारी आदि दैवीय प्रकोप के समय सेहो शान्ति के लेल लाखक - लाख संख्या में पार्थिव शिवलिंगक पूजा होइत अछि चाहे गाँव में नर्मदा शिवलिंग कियाक ने होय अर्थात शिव मंदिर रहलपरान्तो. मिथिला के लोक पार्थिव शिवलिंगक पूजा बहुत बेसी करैत छथि कियाक त' एहन धारणा अछि जे मनुष्य शरीरक निर्माण क्षिति, जल, पावक, गगन, समीर इ पंचतत्व सँ भेल अछि जाहि में आधा तत्व क्षिति आ आधा तत्व पृथ्वी अछि. एही पृथ्वी तत्व सँ मुक्ति के लेल मृतिका महादेव या शिवलिंग बनाक पूजा अर्चना करैत छथि ओकर पाछा भाव इ जे मनुष्यक शरीर में मृतिका वाला भाग मृतिकामय शिव के समर्पित कएल जाय आ बांकी चारि तत्व बाँचि जाय जाहि सँ फेर मनुष्य शरीरक निर्माण नहीं भ सकय आ मानव शरीर सँ छुटकारा भेट जाए.
इ एकटा प्रमुख कारन अछि जे मिथिला में मृतिका शिवलिंगक पूजा खूब होइत अछि. गाछी या नदी के किनार वा जाहि ठाम चिता में अग्नि देल जाइत अछि ओहि ठाम चिता के पीड़ी बनेयबाक प्रथा सेहो विशेषक मिथिला में अछि. मिथिला में वयोवृद्ध भय मरणासन स्थिति में अर्थात अंत समय में भूमिदान करबाक विधान सेहो महामाया मैथिली के प्रति स्नेह अछि. पुराण में प्रासंगिक कथा के अनुसार - धनुष यज्ञ के बाद भगवान् राम अपन धर्म पत्नी सीता के द्विरागमन के दिन (अयोध्या प्रस्थान ) समस्त मिथिला के चारु वर्ण के नर - नारी अपन - अपन मनोरथ के भावानुसार नाना प्रकार के उपहार यथा ठकुआ, चूड़ा, दही, केरा, मछली, मखान, टिकुली, सिंदूर, फूल-माला आदि अपन पुत्री के विदाई उपकरण सामग्री सँ जनकजीकेँ राजधानी के सजा देने छल.प्रायः इ प्रकरण आजुक समय में सेहो अछि जे अपन समाजक लोक सेहो बेटी के विदाई करैत छथि अंतर एतवे जे जिनकासँ जिनका होइत अछि, स्तर थोड़ेक छोट भ गेल अछि. विदाई के समय मैथिली के विछोह में जनक राजपरिवार के संग-संग समस्त मिथिलाके नर - नारी ओहिना बिलखि - बिलखि क कानि रहल छल जेना लोक अपन पुत्री के लेल कनैत अछि.
मिथिलावासीकेँ एहन आत्मविभोर देखि मैथिली बहुत प्रभावित भ गेलीह आ मोने मोन सोच में पड़ी गेलीह, जे आब हम मिथिला सँ जा रहल छि तैं मिथिलाक समस्त जीव - जंतु, पशु - पक्षी, नर - नारी, हमर विछोह में सिसकि -सिसकिक कानि रहल अछि. लेकिन हमरा महामाया बुझितो बेटी बुझि कियो किछु मांगी नहि रहल अछि. इ सब बात सोचैत भगवती धरती माता के पीड़ी के प्रणाम क धीरे - धीरे खरखरिया (कहार) में बैस गेलीह. मिथिला नरेश के आज्ञा भेटलाक बाद अयोध्या के कहरिया जखन कहार उठाबक प्रयास केलक त कहार टस सँ मस नहि भेल. धनुष यज्ञ के बाद ई दोसर मैथिली के चमत्कार छल , इ देखि मिथिलावासी प्रसन्न भ गेल - "भूप सहसदश एकहि बारा" वोहन धनुष जे एक आंगुर सँ उठा लैत छल, ओहन बेटी के अयोध्या के कहरिया केना उठा लेत ? इ विषय हास्य में उद्घोष होमय लागल. समस्त नर - नारी गर्व सँ ताली बजावय लागल.
इ देखि अयोध्यापति महाराज दशरथ आवेश में आवि महावल मल्ल के सीता के सवारी उठावक आज्ञा देलनि. लेकिन मर्यादा पुरोषत्तम भगवान् श्री राम स्वयं मुस्कुराइत खरखरिया के नजदीक आवि सीता सँ पुछलाह - ' इ फेर दोसर चमत्कार किमर्थ ! इ सुनि जनकनंदनी मैथिली मिथिलावासी के तरफ आंगुर सँ इशारा करैत बजलीह - " प्रभु आई हम मिथिला के समस्त जीव - जंतु, पशु - पक्षी, नर - नारी, के स्नेहश्रु में बहि रहल छि एकर सबहक उद्धारक बनीयौ. बिदाई के समय आई हम मिथिला के बेटी धनुषयज्ञ विजयी अहाँ सँ इनाम स्वरुप वरदान मंगैत छि कि " हमर मिथिला के धरती पर जिनकर प्राण वियोग होई, वो बिना कोनो तरहक रुकाबट के जीवन सँ मुक्त भ विष्णु लोक में निवास करैक " . इ सुनिते भगवान् श्री राम कहलाह तथास्तु . आ तहने उठी सकल मैथिलीक खरखरिया. इ कहबा में कोनो अतिश्योक्ति नहि जे मिथिलाक प्रत्येक आचार व्यवहार शास्त्र - पुराण सँ संगत अछि.
(मैथिली अनुवाद डॉ .कृष्ण कुमार झाक लिखल पुस्तक सँ आ किछु - किछु हमरा द्वारा सेहो जोड़ल गेल अछि.)

http://www.mithilamirror.com/news-detail.php?id=249

No comments:

Post a Comment

अपन मत जरुर दी - धन्यबाद !