Thursday 28 November 2013

संजय झा (जदयू नेता ) जी केँ कारी झंडा सेहो देखायल जाय -प्रवीण नारायण चौधरी

आब हिनकर कि कैल जाय? 

भाजपाक हुकुमदेवजी होइथ वा होइथ काँग्रेसक हरीश रावत - मिथिला विरोधी बयानपर हुनकर विरोध तय अछि। मिथिलाक धरतीपर आ राजधानी दिल्लीमे सेहो आ संगहि पृथ्वीलोकसँ स्वर्गलोक तक सेहो हुनकर फझीहत लिखल छन्हि। आब सोझाँ आयल छथि दलबदलू आ शिलापट्ट लगाबयमे माहिर जदयू नेता संजय झा - हिनकर जइमकय विरोध हेबाक चाही जे ई मिथिला राज्यक माँगकेँ "हवाहवाई" कहि मजाक उडौलनि अछि। जाहि मिथिलापुत्रसँ हमरा लोकनि किछु नीक आशा राखैत छी तिनकर एहेन विवादास्पद बयानसँ हिनकर अपन आत्मसम्मान तऽ जे हेराइत छन्हि से छन्हिये, लेकिन एहि लेल मिथिलावादी जनसमूह हिनका कथमपि वर्दाश्त नहि कय सकैत अछि। हम अनुरोध करैत छी समस्त अभियानीसँ जे एहेन बूरीत्व-भरल बयानक नहि मात्र विरोध कैल जाय बल्कि संजयजीकेँ कारी झंडा सेहो देखायल जाय।

हरि: हर:!!



1 comment:

  1. मिथिलाक ओ पूत नहि जे मिथिला राज्यक समर्थन नहि करय.... ओकरा कोनो गत्रमे लाज नहि छैक जे आइ ६६ वर्षक उपेक्षा देखैतो ओ अपन नामक शिलापट्ट लगबयसँ विकास देखि रहल अछि आ नितीश केर चमचागिरी आ भडुवागिरीमे मिथिला राज्यक माँगकेँ हवा-हवाई कहैत अछि.... दुखद! हरि: हर:!!

    ReplyDelete

अपन मत जरुर दी - धन्यबाद !