Thursday, 28 November 2013

हरीश रावत केला बयान के खंडन :मीडिया हमर बयान के गलत तरीका सं प्रस्तुत केलक।

नई दिल्ली ।। संजय झा   दिनांक २८ नवंबर संध्या प्रायः बजे  केंद्रीय जल संसाधन मंत्री कांग्रेस के वरिष्ठ नेता श्री हरीश रावत अपन सरकारी आवास तीन मूर्ति लेन पर मिथिला आंदोलनी के संस्थाक विशिष्ट प्रतिनिधि के बजा २० नवंबर के देल वयान जे माता सीता सेहो विदेशी छलथि जिनकर पूजा समस्त भारत में होइत अछि सोनिया गांधी जी सेहो विदेशी छथि हुनका सम्मान कियाक नै ? यानि सोनिया गांधी जिक तुलना माता सीता जी सँ केलक कारने  मिथिलाक जन समूहक एकर  विरोध केने छल  करैत छलाह
ताहि कारने सब संस्थाक प्रतिनिधि केँ  बजा ओहि बयान के खंडित करैत स्पस्ट केलाह जे  मीडिया हमर बयान के गलत तरीका सं प्रस्तुत केलक। हम कहने रही जे जौं बीजेपी त्रेता युग में रहैत मां सीता के सेहो विदेशी बना दैत। ओहि समय अंग प्रदेश अलग छल, मिथिला अलग छल, अबध सेहो अलग। अहिना भारत में कतेको अगल प्रदेश छल, मुदा मीडिया हमर बयान के परिपेक्ष बदलि देलक। संगहि हरीश रावतक घर पहुंचल प्रतिनिधि मंडल के हरीश रावत आश्वासन देलनि जे अपने सब मिथिला राज्यक मांगक लेल भीड़ एकत्रित करू ताहिक बाद हम अपने लोकनिक संग छी। हरीश रावत मांफी मांगी स्वयं के बयान सं अलग कय लेलनि मुदा एक बेर फेर सं ओहने बात चरितार्थ भेल जे नेता लोकनिक मुंह में जे किछु ऐलनि बजैत गेलथि जखन मीडिया जवाब तलब केलकैन कहि देलनि जे मीडिया हमर बात के तोइर-मरोइर पेश केलक। आखिर अहि देशक कर्णधार सबहक बदजुबानी कहिया बंद होयत से नहि जानी लोकनि कहिया तक मीडिया पर अपन दोष मढैत रहतैथ से समय बताओत ? 
 मिथिला राज्य निर्माण सेना , अखिल भारतीय मिथिला संघ,जन जागृति मंच और अन्य सहयोगी मैथिल संस्था के प्रतिनिधी के सामने खंडन केला। संगही मिथिला राज्य मांग के समर्थन केला और मिरानिसे के द्वारा कखनो भी कार्यक्रम केला पर आबय के सहमति सेहो देला।  पहिनेही मीडिया के अपन बयान के खंडन के कॉपी भेज देने छलाह संगहि कहलाह, जे अगर हमर वयान किनको ठेंस पहुँचल ता माफ़ करती हमर कहबाक अर्थ एहन नहीं छल जाहि सँ किनको ठेंस पहुंचनी  ओहि समय पर उपस्थित छलाह श्री राजेश झा , श्री विजय झा , श्री कमलेश झा , श्री संजय झा , श्री अनूप कुमार , श्री प्रवीण मिश्रा , श्री भवेश नंदन , श्री अमर नाथ झा 





संजय झा (जदयू नेता ) जी केँ कारी झंडा सेहो देखायल जाय -प्रवीण नारायण चौधरी

आब हिनकर कि कैल जाय? 

भाजपाक हुकुमदेवजी होइथ वा होइथ काँग्रेसक हरीश रावत - मिथिला विरोधी बयानपर हुनकर विरोध तय अछि। मिथिलाक धरतीपर आ राजधानी दिल्लीमे सेहो आ संगहि पृथ्वीलोकसँ स्वर्गलोक तक सेहो हुनकर फझीहत लिखल छन्हि। आब सोझाँ आयल छथि दलबदलू आ शिलापट्ट लगाबयमे माहिर जदयू नेता संजय झा - हिनकर जइमकय विरोध हेबाक चाही जे ई मिथिला राज्यक माँगकेँ "हवाहवाई" कहि मजाक उडौलनि अछि। जाहि मिथिलापुत्रसँ हमरा लोकनि किछु नीक आशा राखैत छी तिनकर एहेन विवादास्पद बयानसँ हिनकर अपन आत्मसम्मान तऽ जे हेराइत छन्हि से छन्हिये, लेकिन एहि लेल मिथिलावादी जनसमूह हिनका कथमपि वर्दाश्त नहि कय सकैत अछि। हम अनुरोध करैत छी समस्त अभियानीसँ जे एहेन बूरीत्व-भरल बयानक नहि मात्र विरोध कैल जाय बल्कि संजयजीकेँ कारी झंडा सेहो देखायल जाय।

हरि: हर:!!



Wednesday, 27 November 2013

जल्दिये आबि रहल अछि एम आर एन एस के वेव साईट - राजेश झा



आई एकटा और डेग आगू बढ़ल मिथिला राज्य निर्माण सेना सम्पूर्ण देश आ विश्व में छितरैल मैथिल भाई बंधू के सोशल मीडिया के द्वारा एक मंच पर आनय के दिशा में।
बहुत दिन स बहुतो मैथिल भाई बंधू आ खास क के रवि दिन के कार्यक्रम के बाद बहुतो भाई आग्रह करै छला जे मिरानिसे अपन एकटा नीक वेबसाइट बनाबै जै पर बुद्धिजीवी सब अपन विचार रखैथ। एही मुद्दा पर सेहो मित्र संजीव सिन्हा जे प्रवक्ता.कॉम के मुख्य कार्यकारी छथि आई मिरानिसे के मदद केला।
आई MRNS.IN के नाम स एकटा वेबसाइट के लेल शुल्क अदा क देलौ आ संगही वेबहोस्टिंग के लेल सेहो शुल्क दय संजीव जी के निर्देशन में आई स काज शुरू भ गेल।
सम्पूर्ण वेबसाइट एक सप्ताह के अन्दर काज केनाय शुरू क देत। एकर लॉन्चिंग के सेहो व्यवस्था नीक जेना करबाक प्रयास क रहल छी। आब जे भगवती मैया जानकी के इच्छा हो।जय मिथिला जय मिरानिसे।
 

Thank our soldiers - Kirti Azad


I would like to thank our soldiers for the bravery and courage showed on the same day five years ago. My condolences also go to the family of those,who lost their lives that day. Unfortunately, nothing has changed since then.





२६म् अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली सम्मेलन मे उठल आवाज देवय पडत मिथिला राज्य

२६म् अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली सम्मेलन मे उठल आवाज
देवय पडत मिथिला राज्य

               अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली परिषद्क २६म् अन्तर्राष्ट्रिय सम्मेलन में अलग मिथिला राज्य कऽ माँग जोरदार रुप में उठल । सम्मेलन में मैथिली भाषा के मजबुत करबा कऽ लेल सम्पूर्ण मैथिली भाषी के एक जुट भऽ आगु बढेबा के लेल आह्वान कएल गेल । अई सम्मेलन में भारत तथा नेपाल कऽ प्रतिनिधि सब के उपस्थिति छल । मुख्य अतिथी कृष्णानन्द झा कहलनि भाषा के आधार पर अलग राज्य भेटनाई मुस्किल अछि, अलग राज्य कऽ बास्ते सम्पूर्ण मापदंड के पुरा करय परत, जेकर आवश्यकता अछि । मिथिला के संस्कृति के जा धरि अन्य प्रान्त कऽ संस्कृति के संग समन्वय स्थापित नहि होइत, ता धरि, अलग राज्य बनेनाई संभव नहि अछि । जखन अपन भाषा के अन्य राज्य कऽ संग जोडल जायत तखने देश के ४० प्रतिशत आबादी स्वतः जुडि जायत ।
अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली परिषद अध्यक्ष डा. कमलकान्त झा कहलनि जे मिथिला राज्य के माग उठल तऽ सरकार मैथिली भाषा के मान्यता देलनि । मिथिला राज्य कऽ मान्यता के वास्ते देशक सब प्रान्त कऽ लोक के आगु आबय परत । संगे ओ झारखण्ड सरकार सँ मैथिली भाषा के राज्य के द्वितीय राजभाषा के रुप में शामिल करबा कऽ माग जेहो केलनि । झारखण्ड मे मैथिली के द्वितीय राजभाषा में शामिल करबा कऽ लेल काँग्रेस के पूर्व मन्त्री कृष्णानन्द झा सँ सहयोग सेहो मागलनि । कृष्णानन्द झा अपन पुरा सहयोग देबा कऽ प्रतिबद्धता सेहो जाहिर केलनि । सम्मेलन के उद्घाटन पूर्व मंत्री कृष्णानन्द झा, अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली परिषद कऽ अध्यष डा. कमलकान्त झा, नेपाल कऽ परिषद क अध्यक्ष करुणा झा, संस्थापक अध्यष डा. घनाकर ठाकुर, भूवनेश्वर प्रसाद गुरमैता, बैद्यनाथ मिथिला संस्कृति मंच के अध्यक्ष ओम प्रकाश मिश्र संयुक्त रुप में दीप प्रज्वलित कऽ उद्घाटन केलनि ।

नेपालक मैथिली परिषद कऽ अध्यक्ष करुणा झा कहलनि मैथिली भाषा तथा मिथिला राज्य कऽ मान्यता के लेल आन्दोलन के दौरान पाँच लोग शहीद हो गये जिनमें एक महिला भी । लेकिन इसके बाद भी नेपाल में जोर शोर से मिथिला राज्य के माग उठी रहल अछि । ओ कहलनि – अपना भाषा आ संस्कृति के पंति सब कियो के गम्भीर होब परत । मिथिला राज्य क लेल समाज के सब वर्ग के लोग के साथ लऽ कऽ चलय परत । संगे ओ अन्तर्राष्ट्रिय मैथिल महिला परिषद के गठन करबा कऽ वास्ते जोर देलनि जाई सँ अई अभियान में महिला सब के जोडय कऽ आगु बढला सँ ई अभियान बेसी प्रभावकारी होयत ।

कार्यक्रम के आयोजना बैद्यनाथ मिथिला संस्कृति मंचद्वारा कएल गेल छल । आई दु दिवसीय समारोहमें दोसर दिन पहिल सत्र में जीवकान्त झा आ मायानन्द मिश्र के श्रद्धाञ्जली सभा तथा दोसर सत्र में रंगारंग सांस्कृतिक सन्ध्या में देश विदेशक कलाकार सब द्वारा कएल गेल । अई मौका पर भूतपूर्व डिआईजी के.डी. सिंह, प्रदेश महासचिव रविन्द्र चौधरी, जमशेदपुर के श्यामल सुमन तथा सैकडो मिथिलाबासी के उपस्थिति रहल । धन्यवाद ज्ञापन बैद्यनाथ मिथिला संस्कृति मंच के अध्यक्ष ई. ओमप्रकाश मिश्र जी केलनि । अस्तु ।।


 – करुणा झा
 नेपाल