Showing posts with label SANJAY JHA. Show all posts
Showing posts with label SANJAY JHA. Show all posts

Thursday, 28 November 2013

हरीश रावत केला बयान के खंडन :मीडिया हमर बयान के गलत तरीका सं प्रस्तुत केलक।

नई दिल्ली ।। संजय झा   दिनांक २८ नवंबर संध्या प्रायः बजे  केंद्रीय जल संसाधन मंत्री कांग्रेस के वरिष्ठ नेता श्री हरीश रावत अपन सरकारी आवास तीन मूर्ति लेन पर मिथिला आंदोलनी के संस्थाक विशिष्ट प्रतिनिधि के बजा २० नवंबर के देल वयान जे माता सीता सेहो विदेशी छलथि जिनकर पूजा समस्त भारत में होइत अछि सोनिया गांधी जी सेहो विदेशी छथि हुनका सम्मान कियाक नै ? यानि सोनिया गांधी जिक तुलना माता सीता जी सँ केलक कारने  मिथिलाक जन समूहक एकर  विरोध केने छल  करैत छलाह
ताहि कारने सब संस्थाक प्रतिनिधि केँ  बजा ओहि बयान के खंडित करैत स्पस्ट केलाह जे  मीडिया हमर बयान के गलत तरीका सं प्रस्तुत केलक। हम कहने रही जे जौं बीजेपी त्रेता युग में रहैत मां सीता के सेहो विदेशी बना दैत। ओहि समय अंग प्रदेश अलग छल, मिथिला अलग छल, अबध सेहो अलग। अहिना भारत में कतेको अगल प्रदेश छल, मुदा मीडिया हमर बयान के परिपेक्ष बदलि देलक। संगहि हरीश रावतक घर पहुंचल प्रतिनिधि मंडल के हरीश रावत आश्वासन देलनि जे अपने सब मिथिला राज्यक मांगक लेल भीड़ एकत्रित करू ताहिक बाद हम अपने लोकनिक संग छी। हरीश रावत मांफी मांगी स्वयं के बयान सं अलग कय लेलनि मुदा एक बेर फेर सं ओहने बात चरितार्थ भेल जे नेता लोकनिक मुंह में जे किछु ऐलनि बजैत गेलथि जखन मीडिया जवाब तलब केलकैन कहि देलनि जे मीडिया हमर बात के तोइर-मरोइर पेश केलक। आखिर अहि देशक कर्णधार सबहक बदजुबानी कहिया बंद होयत से नहि जानी लोकनि कहिया तक मीडिया पर अपन दोष मढैत रहतैथ से समय बताओत ? 
 मिथिला राज्य निर्माण सेना , अखिल भारतीय मिथिला संघ,जन जागृति मंच और अन्य सहयोगी मैथिल संस्था के प्रतिनिधी के सामने खंडन केला। संगही मिथिला राज्य मांग के समर्थन केला और मिरानिसे के द्वारा कखनो भी कार्यक्रम केला पर आबय के सहमति सेहो देला।  पहिनेही मीडिया के अपन बयान के खंडन के कॉपी भेज देने छलाह संगहि कहलाह, जे अगर हमर वयान किनको ठेंस पहुँचल ता माफ़ करती हमर कहबाक अर्थ एहन नहीं छल जाहि सँ किनको ठेंस पहुंचनी  ओहि समय पर उपस्थित छलाह श्री राजेश झा , श्री विजय झा , श्री कमलेश झा , श्री संजय झा , श्री अनूप कुमार , श्री प्रवीण मिश्रा , श्री भवेश नंदन , श्री अमर नाथ झा