Showing posts with label RAJESH JHA. Show all posts
Showing posts with label RAJESH JHA. Show all posts

Wednesday, 27 November 2013

जल्दिये आबि रहल अछि एम आर एन एस के वेव साईट - राजेश झा



आई एकटा और डेग आगू बढ़ल मिथिला राज्य निर्माण सेना सम्पूर्ण देश आ विश्व में छितरैल मैथिल भाई बंधू के सोशल मीडिया के द्वारा एक मंच पर आनय के दिशा में।
बहुत दिन स बहुतो मैथिल भाई बंधू आ खास क के रवि दिन के कार्यक्रम के बाद बहुतो भाई आग्रह करै छला जे मिरानिसे अपन एकटा नीक वेबसाइट बनाबै जै पर बुद्धिजीवी सब अपन विचार रखैथ। एही मुद्दा पर सेहो मित्र संजीव सिन्हा जे प्रवक्ता.कॉम के मुख्य कार्यकारी छथि आई मिरानिसे के मदद केला।
आई MRNS.IN के नाम स एकटा वेबसाइट के लेल शुल्क अदा क देलौ आ संगही वेबहोस्टिंग के लेल सेहो शुल्क दय संजीव जी के निर्देशन में आई स काज शुरू भ गेल।
सम्पूर्ण वेबसाइट एक सप्ताह के अन्दर काज केनाय शुरू क देत। एकर लॉन्चिंग के सेहो व्यवस्था नीक जेना करबाक प्रयास क रहल छी। आब जे भगवती मैया जानकी के इच्छा हो।जय मिथिला जय मिरानिसे।